बेकरी प्रशिक्षण
कोरोना कालमे सखी बहिनपा आ ucatapult संस्थाक संयुक्त सकारात्मक पहल
परिवर्तन जीवन के नियम अछि आ बदलाव समयके माँग |
आइ ई कोरोना कालके विकट समयमे सखी-बहिनपा आ यू केटापुल्टके सामूहिक प्रयास आ सकारात्मक सोच सँ मिथिलाक महिलाके आत्मनिर्भर बनाबय लेल 'सक्षम' कार्यक्रमके अन्तर्गत 'बेकरी ' कक्षाके शुरूआत कएल गेल|जकर पहिल कक्षा दिनांक 25 मईक छल|
प्रशिक्षिका सुश्री निशाजी ' क्रन्ची बाइट' के संस्थापिका छथि आ ओ अपने जकाँ मैथिलानी सबके सेहो आत्मनिर्भर बनाबय लेल उत्सुक छथि।
कोनो विद्या व्यर्थ नहि जाइत छै| प्रथम कक्षामे सखी सबहक उत्साह एवं संख्या देख मोन प्रसन्न भ गेल |
जय मिथिला! जय मैथिली! जय मैथिलानी!

