जानकी नवमीके कार्यक्रमक लेल अन्तरक्रिया
आजुक दिन लेल आदरणीय Akhilesh Jha जी, Dilip Kumar झाजी, ममता रानी सखी आ निषाद सर संग वार्ता क कतेक नीक कार्यक्रम के रूप रेखा तैयार केने रही पुनौराधाममे सखी बहिनपा द्वारा आयोजन करबाक।मैथिली के संरक्षण लेल बहुत निस्सन डेग साबित होइतहि ई कार्यक्रम।हमर सीतामढ़ी आ ओकर आस पास के सखी सब बहुत सहयोग करबाक वचन देने रहथि।मुदा कोरोना बहुत चीज खेलक।आस जे संकट काल खतम भेला पर हम सब ई सोचल बात अवश्य पूरा करब।
जानकी नवमी के अनंत शुभकामना सब गोटे के।सब जनममे माँ सीता के धरती पर जनम ली तकर कामना
(May 2021)

