मिथिला मेला (नई दिल्ली )
हालमे १७ नवंबर, २०१९ केँ दिल्ली सखी बहिनपा मैथिलानी समूह द्वारा मैथिली भोजपुरी अकादमी आ दिल्ली सरकारक सहयोग सँ “मिथिला मेला” केँ आयोजन कैल गेल छल। एहि आयोजन केँ सफल बनबय में सम्पूर्ण दिल्ली सखी बहिनपा के "कार्यकर्ता" सखी के अलावा ओहिठामक सब सखी के योगदान महत्वपूर्ण अछि।
एहि मेला में मैथिल खान-पान, मिथिला चित्रकला आ मैथिली तथा मिथिलाक्षरक पोथीकेँ स्टॉल,मिथिला दर्शन के कांसेप्ट(मैथिल परंपरा के दर्शाबैत बिध/व्यवहार) के डाला सँ सजल छल। एहि मेला मे जबरदस्त भीड़ छल आ भीड़ छल ओहि विश्वास के जे अहाँ सब मैथिल जन हमरा सब सखी बहिनपा पर करै छी।
सखी सब आत्मनिर्भर भ अपन अपन स्टाल पर पूरा आत्मविश्वासक संग सब व्यवस्थापन क' रहल छलीह
धिया पूता सब अरिपन, गीत, नाद ,मिथिला चित्रकला के प्रतियोगितामे भाग लेलथि बड्ड नीक लागल आ आश्वस्त भेलहुँ जे अपन मिथिला के मान हमर बच्चा सब अपन कनहा पर उठा रहल छथि आ एकरा आगू बढ़ेताह।
मैथिली गीत नाद आ ज्योति सखी संग पूरा टीमक(मैलोरंग) जे नाटक के प्रस्तुति(मैथिल स्त्री) छल ओ चारि चान लगा देलक कार्यक्रममे।
सखी- बहिनपा द्वारा ठाम- ठामपर भ रहल मिथिला मेला मिथिलामे परिवर्तन आनत इ पूर्ण विश्वास अछि ।
छाया सखी,सांत्वना सखी,मधुलता सखी,हेमा सखी,स्वाति सखी, पूजा सखी,रेखा सखी,राधा सखी,गिन्नी दीदी सखी,सौम्या सखी,शिप्रा सखी,कामना सखी,भारती सखी..... आदि के विशेष आभार एतेक सुंदर आयोजन लेल,आ आभार मिथिला मीडिया के सखी-बहीनपा क बारे निष्पक्ष भ प्रकाशित और संपादित करें के लेल।

