मैथिलानी के सम्मान, मिथिला के विकास

सखी- बहिनपाक संक्षिप्त परिचय

कोनो समाज/ राष्ट्र/ क्षेत्र तखने आगू बढ़ैत अछि जखन ओकर नारी समुदाय सेहो सरोकारक मुद्दापर आवाज़ उठा सकय। नारी समाज विश्व भरि दोसर दर्जा अथवा दबल रहली। कमोबेस इयह अवस्था मिथिलाक नारी के अछि। आर जगह त' नारी अपन पहचान बना रहल छथि मुदा मैंथिलानी अखनो उपेक्षित छथि। अपनापर विश्वासक कमी साफ देखाय पड़ैत छैक जखन कि मैथिलानी मेहनतमे ककरो स' कम नहि, विद्वतामे ककरो स' कम नहि, प्रबन्धन क्षमता किनको स' कम नहि इ साबित क' रहल छथि। कमी छल त' एकताक, विश्वासक जे सखी- बहिनपाक प्रयास स' आबि रहल अछि। सखी- बहिनपा मैथिलानी के अपनापर विश्वास, अपन क्षेत्रप्रति जागरूकता, अपन भाषाके सम्मान, मैथिलानीक आर्थिक आत्म निर्भरता...आदि के अपन मन्त्र बना चुकल अछि आ ओहि दिस डेग बढा चुकल अछि। - संस्थापिका ( आरती झा )
'सखी बहिनपा' मैथिलानी समूह जन्म
आइसँ चारि वर्ष पहिने सन् 2015 मे फेसबुककेँ माध्यमसँ केलहुँ।मोन मे बहुत तरहक सवाल-जवाब चलि रहल छल जे कि इ समूह हमर मैथिलानी सखी-बहिनकेँ बीच अपन जगह बना सकत? कि इ समूह हमर सभक ओहि मूल उद्देश्य केँ पूरा करत जे हमर मोनमे उमरि-घुमरि रहल अछि? कि अपन पुरूष समाज एहि बदलाव केँ मोन सँ स्वीकार करताह? मुदा आइ हम देखि रहल छी त' हमरा बुझि पड़ि रहल अछि कि जे शनै: - शनै: हम सब ओहि मूल उद्देश्यकेँ तरफ बढ़ि रहल छी, जाहि उद्देश्यकेँ लेल सखी बहिनपा मैथिलानी समूह बनाओल गेल छल। हमरा एहि बातक बड खुशी भ' रहल अछि जे सखी बहिनपा मैथिलानी समूह अपन मैथिलानी समाज मे उचित जगह बना रहल अछि आ आब एकर आधार बहुत व्यापक भ' गेल अछि। देश-विदेश सँ अनेकों मैथिलानी सखी एहि समूह सँ जुड़ल छथि आ समाज मे अपन महत्वपूर्ण स्थान बना रहल छथि। कखनो क' इहो मोनमे आबए जे कि अपन पुरूष समाज एहि बदलाव केँ मोन सँ स्वीकार करथिन? मुदा कहैत असीम हर्ष भ' रहल अछि जे पुरूष समाज इ बदलाव केँ स्वीकार केलखिन्ह बल्कि अपन घरक महिलाकेँ आगू बढ़बाक हेतु प्रोत्साहित केलथि। स्वयं हमरो इ कतेको बेर इ महसूस भेल जे पुरूष वर्ग बहुत सहयोग क' रहल छथिन्ह। हमरा सब सखी के लेल इ बहुत संतोषके बात अछि। आब हम सब निश्चिंत भ गेलहुँ जे यदि हम सब सखी अपन काज मोन सँ करी त' सामाजिक स्तर पर बहुत काज क' सकैत छी।

सखी-बहिनपाक उद्देश्य

मैथिलानी के सम्मान, मिथिला के विकास

आउ संग जुडू, मातृभाषाके सशक्त बनाउ। हँसैत-खेलायत रहू।

28000+
सदस्या
100+
परियोजना
10+
केंद्र
300+
राष्ट्रीय एवं अन्तर्राष्ट्रिय कार्यकारिणी समूह:
मैथिलानी के सम्मान, मिथिला के विकास

प्रमुख उपलब्धिसभ

लोक सब अपन सभक बारेमे कि कहैत छथि।

मैथिलानी के सम्मान, मिथिला के विकास

हम सब सहायता करैत छी।

  • स्वास्थ्य सम्बन्धित
  • शिक्षा
  • रोजगार

संपर्क करू प्रपत्र

अपन नाम
ईमेल
फोन
संदेश

सखी बहिनपा